![]() |
| डूबलै चन्दा भेलै भोर - छठि'पूजा गीत |
डूबलै चन्दा भेलै भोर - छठि'पूजा गीत (Duble Chanda Bhaile Bhor - Chhath Geet)
जल्दी जल्दी ऊगू हे दिवाकर डूबलै चन्दा भेलै भोर
शीत जलमे ब्रतीगण कँपै छै करियौ सुखकेँ संघोर ..
अरघकेँ बेर भेलै झटैक'केँ अबियौ
छैठघाटे भीड़ भेलै दरस देखबियौ
गंगाकाते एली छठीमैया जननी जन मन बिभोर ..
दीप लेसि आशा ताकै धीया बेटी मुनियाँ
सूपकेँ सजाकेँ रखली नैकी दुलहिनियाँ
दीन दुखी हेरै छै किरिनियाँ दीनानाथ करू ने इजोर ..
कोनियाँमे साँचे शोभै सूपेमे टिकरिया
डाला शोभै फ'ले फूले लहठी रे सिनुरिया
हरू हरू दुखकेँ अन्हरिया हाथ'जोइर पड़ै शिव गोर ..
डूबलै चन्दा भेलै भोर (Chhath Geet)
गीतकार : शिव कुमार झा टिल्लूस्वर : माधवी मधुकर झा
